Deepika Chnadra :: दीपिका चन्द्रा


Deepika Chandra

दीपिका चन्द्रा
कवयित्री, लेखिका , संस्कृतिकर्मी

खेलकूद , एथलेटिक्स आ सामाजिक कार्यमे संलग्न रहयवाली मैथिली कवयित्री दीपिका चन्द्राक जन्म 16 नवम्बर 1995 केँ सुपौल जिलाक त्रिवेणीगंज प्रखण्डन्तर्गत बेलापट्टी गाममे भेलन्हि । नेनपनेसँ प्रतिभाशाली दीपिका पढ़बा-लिखबाक संगहि खेलकूदमे सक्रिय रहलीह आ राष्ट्रीय स्तर पर कबड्डी, पोलो आदि खेलमे कैक बेर पहुँचलीह । राजनीति विज्ञान आ संगीत मे स्नातकोत्तर दीपिका चन्द्राक मैथिली कविता संग्रह चौकठिसँ चान दिस प्रकाशित अछि । कैक बेर साहित्य अकादेमीक कार्यक्रममे सहभागी भ’ चुकल छथि । तहिना रेडियो ईस्ट एन वेस्ट 88.4 एफ एम सँ प्रसारित होइवला कार्यक्रम म्यूजिक मिथिलाक सफल संचालिका छथि आ गायनमे सेहो रूचि रखैत छथि । सम्प्रति उच्चतर माध्यमिक विद्यालयमे शिक्षिका छथि । मैथिल मंच एहि बहुआयामी प्रतिभाक धनी मैथिल ललनाक अभिनन्दन करैत अछि ।