विद्यापति सेवा संस्थानक तत्वावधानमे कुलपति केर भेलनि भव्य अभिनंदन

विद्यापति सेवा संस्थानक तत्वावधानमे कुलपति केर भेलनि भव्य अभिनंदन
———–
ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयमे शैक्षणिक विकासक असीमित संभावना उपलब्ध अछि। बस, जरूरत एहि बातक रहल अछि जे एहिठामक शिक्षक, कर्मचारी आ विद्यार्थी स्वयं केर प्रतिभाक पूर्ण ईमानदारी केर संग प्रदर्शन करैत एहि शिक्षा मंदिर केर विकास लेल कार्य संस्कृतिमे अपेक्षित सुधार अनबा लेल कृतसंकल्प होथि। ई बात ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय केर कुलपति प्रो संजय कुमार चौधरी मंगलदिन विद्यापति सेवा संस्थानक तत्वावधानमे हुनक कार्यकालक सफल अर्द्ध वार्षिकी केर पूर्ण होयबाक उपलक्ष्यमे आयोजित अभिनंदन समारोहमे कहलनि। ओ कहलनि जे एखन धरि केर कार्यकालमे ओ महसूस कयलनि अछि जे विभिन्न कारण सँ एहिठामक शिक्षक, कर्मचारी आ विद्यार्थी लोकनिमे निरंतर उत्साहमे क्षरण होइत रहल अछि आ एकर त्वरित निदान कें ओ अपन कार्य सूचीमे प्राथमिकता केर आधार पर शामिल करैत विश्वविद्यालयमे विभिन्न न्यायादेश आ नियम-परिनियम केर दायरामे छात्र, शिक्षक आ कर्मचारी केर हित साधनक निरंतर प्रयासमे लागल छथि। कुलपति कहलनि जे आबय बला समय मिथिला विश्वविद्यालयक होयत आ एकर सर्वांगीण विकासक दरबज्जा चारू दिशामे खुजत। एहि विकास लेल धन केर कोनो कमी नहि रहत। कारण अपन प्रदर्शन केर बल पर ई विश्वविद्यालय पीएम रूसा फंड केर तहत भेटय बला सहायता राशि लेल स्वयं केरमजगूत स्थान बनेबामे सक्षम भेल अछि आ जल्दीए प्रस्तावित विभिन्न योजना लेल विश्वविद्यालय कें बिहार सरकार सँ 168 करोड़ केर सहायता राशि प्राप्त होबय बला अछि। एकरा संगहि वित्तीय सहायता लेल अन्य श्रोत सेहो ताकल जा रहल अछि। कुलपति डा बैद्यनाथ चौधरी बैजू केर प्रशंसा करैत कहलनि जे हिनका सन निःस्वार्थी लोक विश्वविद्यालयक मूल पूंजी छथि।
स्थानीय एमएलएसएम कॉलेजक सभागारमे आयोजित कार्यक्रमक अध्यक्षता ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक वरीय सिंडिकेट सदस्य प्रो हरि नारायण सिंह कयलनि। एमएलएसएम कॉलेजक छात्रा द्वय प्रतिभा आ रत्न प्रिया द्वारा प्रस्तुत कवि कोकिल विद्यापति रचित गोसाउनि गीत ‘जय जय भैरवि…’ सनं प्रारंभ भेल कार्यक्रमक विधिवत शुभारंभ ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति प्रो संजय कुमार चौधरी, मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष पं कमलाकांत झा, सिंडिकेट सदस्य डा हरिनारायण सिंह, वरिष्ठ डीन प्रो चंद्रभानु सिंह, कुलानुशासक प्रो अजय नाथ झा, एमएलएसएम कॉलेजक पूर्व प्रधानाचार्य डा विद्यानाथ झा, यूआर काॅलेज, रोसड़ा केर प्रधानाचार्य डा घनश्याम राय, शिक्षाविद् डा टुनटुन झा अचल एवं विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डा बैद्यनाथ चौधरी बैजू संग मिलि दीप प्रज्वलित कऽ कयलनि।
संस्थानक मीडिया संयोजक प्रवीण कुमार झाक संचालनमे आयोजित कार्यक्रममे संगीतक सुरमयी लहरीक बीच कुलपति केर अभिनंदनमे बधाई आ शुभकामनाक स्वर खूब फूटल। मौका पर ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति केर उपलब्धि पूर्ण छह मास पूरा होयबाक उपलक्ष्यमे संस्थान परिवारक दिस सनं हुनक भाव भरल भव्य अभिनंदन कयल गेल। प्रवीण कुमार झा द्वारा रचित अभिनंदन पत्र केर सस्वर वाचन ओ स्वयं कयलनि।
नहि सं पहिले स्वागत संबोधनमे संस्थानक महासचिव डा बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहलनि जे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक यशस्वी कुलपति प्रो संजय कुमार चौधरी केर छह महीनाक उपलब्धि भरल कार्यकाल लेल एहि अभिनंदन सँ विश्वविद्यालयक विकास कें मिठास भेटत। ओ कहलनि जे हुनक कार्यकालमे विश्वविद्यालयक उत्तरोत्तर विकास भऽ रहल अछि, जाहि सँ मिथिलाक आम व खास लोक विशेष आह्लादित छथि। डा बैजू कुलपति केर कार्यकालक पहिल छह मासक उपलब्धि केर विस्तार सँ चर्चा करैत कहलनि जे ओ अपन पदभार संम्हारिते मिथिलाक विभूति क्रमशः कवि कोकिल विद्यापति, मंडन मिश्र, अयाची मिश्र, लक्ष्मीनाथ गोसाई, राष्ट्रकवि रामधारी सिंह दिनकर, जननायक कर्पूरी ठाकुर, अमर शहीद ललित नारायण मिश्र, बाबा नागार्जुन आदि केर नाम पर विश्वविद्यालयक विभिन्न विभागमे चेयर स्थापना आ एकर समुचित क्रियान्वयन लेल विश्वविद्यालयक बजटमे प्रावधान करबामे जे तत्परता दिखोलनि ई नहि केवल काबिले तारीफ अछि, अपितु एहि सँ आम मिथिलावासीमे उमंग आ उत्साह केर संचार भेल अछि।
ओ कहलनि जे एकरा अतिरिक्त हुनक नेतृत्वमे विश्वविद्यालयमे कामकाजक उत्साही माहौल कायम करबामे नजरि आबि रहल सक्रियता सेहो खूब महत्वपूर्ण अछि। आइ हिनका कुशल नेतृत्वमे विश्वविद्यालयक कार्य संस्कृति मे आयल तत्परताक परिणाम अछि जे छह महीनाक छोट सन अवधिमे विश्वविद्यालयमे चारू कात उमंग, उत्साह आ विश्वासक वातावरण खूब द्रूतगति सँ कायम भेल अछि। जतय शिक्षक आ कर्मचारी लोकनिक प्रोन्नति केर दिशामे कुलपति आत्मीय तत्परता देखोलनि अछि। ओतहि वेतन ओ पेंशन सहित अतिथि शिक्षक लोकनिक मानदेय भुगतान कें ओ अपन कार्य सूचीमे सबसँ ऊपर राखि एकर त्वरित भुगतान कयलनि। एकरा संगहि विश्वविद्यालयक हेल्थ सेंटर केर जरूरति कें ध्यानमे रखैत एकर पुनरूद्धार लेल संकल्पित होयब, ऐतिहासिक महत्व केन देखैत विश्वविद्यालय परिसर केर समुचित रख-रखावमे तत्परता देखायब, दूरस्थ शिक्षा निदेशालय केर सुदृढ़ीकरण सहित खेल निदेशालय आ अंतरराष्ट्रीय स्टेडियम केर स्थापनामे अभूतपूर्व दिलचस्पी देखायब, खेल प्राधिकरण केर गठन आदिमे हुनक दूर दृष्टि विश्वविद्यालयक स्वर्णिम भविष्य केर निर्माणमे अत्यंत महत्वपूर्ण होयत।
अध्यक्षीय संबोधनमे प्रो हरि नारायण सिंह कुलपति कें कुशल प्रशासक आ जीवट अनुशासक बतबैत कहलनि जे जिद्दी व्यक्ति केर सामने कोनो बाधा बेसी काल धरि टिक नहि सकैछ, कुलपति मात्र छह महीनाक अपन कार्यकालमे साबित कऽ दिखोलनि अछि। संगहि सबकें संग लऽ चलबाक हुनक मंशा हुनका हुनक कायल बना देने अछि। ओ कुलपति कें यशस्वी कार्यकाल लेल मंगलमय शुभकामना देलनि।
मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष पं कमलाकांत झा अपन संबोधनमे कुलपति केर अभिनंदन करैत एक बेर पुनः नागार्जुन चेयर केर नामकरण यात्री-नागार्जुन चेयर कयल जयबाक प्रस्ताव रखलनि। प्रो चंद्रभानु सिंह कुलपति केर कार्यशैलीक चर्चा करैत कहलनि जे ‘सर्वजन हिताय’ केर हुनक मनोभावना नहि केवल काबिले-तारीफ अछि अपितु, एहिमे विश्वविद्यालयक सर्वांगीण विकास सेहो सर्वथा निहित अछि। प्रो अजय नाथ झा कहलनि जे अभिनंदन समारोहमे स्वत: स्फूर्त उपस्थिति कुलपति केर नेतृत्वमे सभ उम्मीद आ आशा केर जीवंत होयबाक प्रमाण अछि। ओ कुलपति केर उपलब्धिपूर्ण कार्यकालक मंगलमय शुभकामना देलनि। कार्यक्रममे एमएलएसएम कॉलेजक पूर्व प्रधानाचार्य डा विद्यानाथ झा, यूआर काॅलेज, रोसड़ाक प्रधानाचार्य डा घनश्याम राय, शिक्षाविद् डा टुनटुन झा अचल, प्रो बाबू साहेब झा, प्रो अजीत कुमार चौधरी, विनय कुमार झा आदि सेहो अपन विचार व्यक्त कयलनि आ कुलपति केर प्रशंसामे कसीदा गढ़लनि। कार्यक्रममे कृष्ण कुमार कन्हैया द्वारा डरोड़ी केर संत स्नेहलता रचित गीतक संगीतमय प्रस्तुति समा बान्हबामे सफल रहल। तबला पर महाविद्यालयक छात्र आ हारमोनियम पर शिक्षक प्रो चंद्रनाथ मिश्र केर ओंगरी जमिकऽ अपन जादू बिखेरलक। धन्यवाद ज्ञापन वरिष्ठ साहित्यकार डा महेंद्र नारायण राम कयलनि। समारोहमे प्रो रमेश झा, विनोद कुमार झा, प्रो विजय कांत झा, प्रो चंद्रशेखर झा बूढ़ा भाई, राजन कुमार, राधेश्याम झा, हर्षवर्धन सिंह, डा महेश ठाकुर , मिथिलेश मिश्र, मनीष झा रघु, आशीष चौधरी, पुरुषोत्तम वत्स, मणिभूषण राजू आदि समेत पैघ संख्यामे गणमान्य लोक उपस्थित भेलाह।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *