मैथिली भाषाक प्रथम दैनिक समाचारपत्र मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश, मिथिला पुनर्जागरणक वाहक बनय – मणिभूषण राजू

image

मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश – मिथिला पुनर्जागरणक वाहक बनय – मणिभूषण राजू

दरभंगा । दीपक झा
मैथिली भाषाक प्रथम दैनिक समाचारपत्र मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश के प्रथम मास पूरा भेला पर “मैथिल मंच” द्वारा आयोजित गणतंत्र दिवस के आयोजन “मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश” अखबार आ एकर समस्त टीम के समर्पित कयल गेल।
एहि के संग दरभंगा नगर आ सुदूर गाम सबमें घर-घर ई अखबार पहुँचय एहि हेतु सामूहिक प्रयास प्रारंभ कयल गेल।
दरभंगा जिलाक बहादुरपुर प्रखंड के सिमरा नेहालपुर पंचायत के गेहुँमी गाम के प्रस्तावित “बाबू जानकीनंदन सिंह स्मृति पार्क” में मैथिल मंच द्वारा आयोजनस्वरुप गणतंत्र दिवस मनाओल गेल।
आयोजन मधुबनी सँ प्रकाशित होबयवला प्रथम मैथिली अखबार “मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश” के समस्त टीम के समर्पित कय मंच के अध्यक्ष मणिभूषण ‘राजू’ कहलथि जे ई अखबार मिथिला पुनर्जागरण के वाहक बनत आ एहि संगे हमसब अपन मिथिला के लेल स्वर्णिम भविष्य गढ़ब।
“तिथि स्टडी प्वाइंट” के विद्यार्थीगण संगहि गामक वरिष्ठ लोकनि के अखबार देल गेल आ समस्त ग्रामवासी लोकनि आगा सँ अखबार लेबाक प्रण लेलन्हि।
उपस्थित गणमान्य लोकनि में उपमुखिया राहुल जी, राजू महतो, विनय जी, मनोज जी, संगहि अनेको लोक उपस्थित भेलाह।


5 Comments

  1. नमस्कार,सभ मैथिल सज्जन स आग्रह आ निवेदन जे उपरोक्त अखबार जरूर खरीदी और दोसरो के खरीदबा लेल उत्साहित करी। जय मिथिला

  2. हवाई डाक द्वारा दैनिक पत्र दिल्ली धरि पहुंचयबाक भागिरथ प्रयास आरंभ कयल जाओ, संगहि एक प्रति संसद पुस्तकालय ओ दोसर प्रति दिल्ली विधान सभा पुस्तकालय मे सेहो पठयबाक कोशिश हो, अहि सं पत्रक पाठक केरि संख्या मे आशातीत वृद्धि होयबाक संभावना।

  3. Sir
    बेगूसराय में भी उपलब्ध करवाने की कृपा करे।

  4. संपादक महोदय,नमस्कार
    ई अखबार लेल हम न्यूज पढायब आ अहिठाम स्थापित करब।
    अपने है सहयोगक अपेक्षा। धन्यवाद्
    अहिक गंगेश कुमार पाठक
    सामाजिक पत्रकार, बोकारो स्टील सीटी। झारखंड।
    सम्पर्क सूत्र : 99 551 00 581

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *