मिथिला विभूति पर्वक 52वाँ समारोह के यादगार बनेबाक तैयारी
————-
13 सँ 15 नवम्बर तक त्रिदिवसीय कार्यक्रम के आयोजन एमएलएसएम काॅलेज परिसर में होयत
————–
अनेक महत्वपूर्ण व्यक्तित्व लोकनिक उपस्थिति के संग
—–
लगातार तीन दिन तक बहत साहित्य, संगीत आ कला केर त्रिवेणी….
———–
मिथिलाक महान विभूतिलोकनि के यथोचित सम्मान प्रदान करैत आबयवाला पीढ़ी के हुनक कृतित्व सँ अवगत करेबाक उद्देश्य सँ प्रतिवर्ष साहित्यिक आ सांस्कृतिक महाकुंभ के रूप में मिथिला विभूति पर्व समारोहक आयोजन मिथिला-मैथिली के उत्कर्षक जीवंत प्रतीक अछि। ई बात विद्यापति सेवा संस्थानक अध्यक्ष प्रो शशिनाथ झा कहलथि। संस्थान द्वारा जारी कयल गेल प्रेस विज्ञप्ति में ओ कहलन्हि कि 52म समारोह के दौरान मिथिलाक सांस्कृतिक आ साहित्यिक विरासत के संरक्षण आ संवर्धन के लिए उपयुक्त माहौल तैयार करबाक के संगहि मिथिलाक गौरवशाली धरोहर सँ नव पीढ़ी के परिचय कराबय पर विशेष जोर रहत। एहि उद्देश्य सँ एहि वर्ष मिथिला चित्रकला एवं व्यंजन प्रदर्शनी के संगहि साहित्य अकादमी, दिल्ली व मैथिली अकादमी, पटना, पोथी घर एवं अन्य प्रकाशन संस्थान के सौजन्य सँ आकर्षक पुस्तक मेलाक आयोजन तीनों दिन कयल जायत।
महासचिव डॉ बैद्यनाथ चौधरी बैजू ने बताया कि एहिबेर त्रिदिवसीय कार्यक्रम के आयोजन पूर्वक भांति एमएलएसएम काॅलेज परिसर में कयल जायत। जबकि एहि ऐतिहासिक आयोजन के उद्घाटनक लेल राष्ट्रपति द्रौपदी मुर्मू, प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी, बिहारक राज्यपाल राजेन्द्र विश्वनाथ अर्लेकर, अनेक केन्द्रीय मंत्रीगण सहित नेपाल के पूर्व राष्ट्रपति डॉ रामवरण यादव, पूर्व उप राष्ट्रपति परमानन्द झा, सूबाक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एवं उप मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी केर आमंत्रित कयल गेल अछि। कार्यक्रम में सम्मिलित होबाक लेल बिहार सरकारक काबीना मंत्री विजय कुमार चौधरी, डॉ अशोक कुमार चौधरी, मदन सहनी, हरि सहनी, नीतीश मिश्रा, पूर्व मंत्री जीवेश मिश्र, डॉ. राम प्रीत पासवान, ललित कुमार यादव, पूर्व केंद्रीय मंत्री पद्मश्री डॉ. सीपी ठाकुर एवं अश्विनी चौबे, प्रदेश कांग्रेस के पूर्व अध्यक्ष डॉ. मदन मोहन झा, लोकसभा सांसद डॉ. गोपाल जी ठाकुर, डॉ. अशोक कुमार यादव, राज्य सभा सांसद संजय कुमार झा, डा धर्मशीला गुप्ता, विवेक ठाकुर व फैयाज अहमद, नगर विधायक संजय सरावगी, बेनीपुर विधायक डॉ विनय कुमार चौधरी, केवटी विधायक डॉ मुरारी मोहन झा, बिस्फी के विधायक हरिभूषण ठाकुर बचौल, पूर्व विधान पार्षद डॉ. दिलीप कुमार चौधरी, अलीनगर के विधायक डॉ मिश्री लाल यादव आदि लोकनि अपन सहमति प्रदान कय चुकल छथि।
सलाहकार समिति के अध्यक्ष पं कमलाकांत झा ने बताया कि एहि ऐतिहासिक आयोजनमें नव पीढ़ीक कलाकार एवं कविलोकनि के अधिक अवसर प्रदान करबा पर विशेष जोर देल जा रहल अछि। एहिबेर समारोह के पहिल एवं दोसर दिन विद्यापति गीत-संगीत पर विशेष फोकस रहत। जबकि तेसर दिन रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम के भव्य आयोजन कयल जायत। रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम में राइजिंग स्टार मैथिली ठाकुर आकर्षण के केंद्र रहतीं। जखनकि रंजना झा, डा ममता ठाकुर, पूनम मिश्रा, सोनी चौधरी, जूली झा, सुषमा झा, अनुपमा झा, खुशबू मिश्रा, पं कुंज बिहारी मिश्र, राम बाबू झा, माधव राय, विकास झा, कृष्ण कुमार कन्हैया, दुखी राम रसिया, दीपक कुमार झा, नीरज कुमार झा, केदारनाथ कुमर, मशहूर शंखवादक विपिन मिश्र, नटराज डांस एकेडमी, सृष्टि फाउंडेशन एवं धरोहर सांस्कृतिक मंच आदिक प्रस्तुति उपस्थित लोकक भरपूर मनोरंजन करत।
ओ कहलन्हि कि कवि कोकिल विद्यापति के निर्वाण दिवस पर विद्यापति सेवा संस्थान के तत्वावधान आगामी 13, 14 आ 15 नवम्बर के होबयवला त्रिदिवसीय मिथिला विभूति पर्व के 52म वार्षिक समारोहक विधिवत शुरुआत 13 नवम्बर के प्रातः बेला में होयय। ओहिदिन विद्यापति चौक स्थित महाकवि विद्यापतिजीक प्रतिमा पर माल्यार्पण के संग होयत। एहिकेर उपरांत मिथिला के पारंपरिक परिधान में शोभायात्रा निकालल जायत तथा मार्ग में पड़यवला सब विभूतिगणक प्रतिमा पर माल्यार्पण कयल जायत। शोभा-यात्रा प्रभारी विनोद कुमार झा एवं विजयकांत इसकी तैयारी के अंतिम रूप देबा में लागल अछि।
स्वागत महासचिव प्रो जीवकांत मिश्र कहलन्हि कि समारोह के पहिल दिन के कार्यक्रम में विभिन्न क्षेत्र में उत्कृष्ट योगदान के आधार पर मिथिला विभूति सम्मान के लेल चयनित मिथिलावासी एवं प्रवासी मैथिल के सम्मानित कयल जायत। जखनकि समारोहक दोसर दिन ‘मिथिलाक गाम’ विषयक राष्ट्रीय सेमिनार एवं भव्य कवि सम्मेलन के आयोजन कयल जायत।
सेमिनार संयोजक मणिकांत झा कहला कि सेमिनार के लेल प्रस्तावित विषय पर तीन दर्जन सँ अधिक आलेख प्राप्त भेल अछि, जिनकाकि पुस्तक आकार में प्रकाशित करबाक कार्य अंतिम चरण में अछि आ समारोह के दोसर दिन आयोजित कार्यक्रम में इस पुस्तक के लोकार्पण कयल जायत। मीडिया संयोजक प्रवीण कुमार झा कहलनि कि समारोह के दोसर दिन संध्या बेला में आयोजित कवि गोष्ठी में विद्यापति सेवा संस्थानक मुख पत्रिका ‘अर्पण’ के विशेषांक के लोकार्पण कयल जायत जबकि लेखक रमेश के संयोजन में भव्य कवि सम्मेलन केर आयोजन कयल जायत। एहिमें देश के विभिन्न हिस्सा सँ मैथिली के स्वनामधन्य कवि एवं कवियित्रीलोकनि अपन कविता वाचन करताह।
ओ कहलनि कि कवि सम्मेलन के दौरान वर्ष 1990 में संस्थान द्वारा प्रकाशित गजल संग्रह ‘लोकवेद आ लालकिला’ के परिवर्धित अंक एवं मैथिली पुत्र प्रदीप के रचना समग्र के प्रथम खंड सहित डाॅ महेंद्र नारायण राम एवं प्रवीण कुमार झा द्वारा लिखल गेल पुस्तक ‘ मिथिलाक संघर्ष दूत डाॅ बैद्यनाथ चौधरी बैजू’ के लोकार्पण कयल जायत।