महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह मिथिला राज्य परिसीमन जागृति यात्रा : प्रथम चरण

Image

 

#महाराजाधिराज_कामेश्वर_सिंह_मिथिला_राज्य_परिसीमन_जागृति_यात्राक प्रथम चरण के प्रारंभ आई 17 नवंबर के श्यामामाई मंदिर, दरभंगा सं समस्त मार्गदर्शकगण एवं विप्रजन के आशीर्वाद लय प्रारंभ भेल। डा. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’, डा. अयोध्या नाथ झा, प्रो. विनोद चौधरी(पूर्व एम एल सी), श्री मुरारी मोहन झा, श्री राम नारायण झा, श्री उदयशंकर मिश्र, श्री मणिकांत झा,श्री जीवकांत मिश्र, श्री विनोद कुमार झा, श्री राजेश कुमार सिंह ठाकुर, श्री प्रवीण झा, श्री सुजीत मिश्रा, श्री विनीत कुमार झा, श्री मिथिलेश कुमार मिश्र, श्री चंदन कुमार सिंह, श्री संजय ‘रिक्थ’, श्री चन्द्रशेखर झा ‘बुढ़ाभाई’, श्री धीरज कुमार चौधरी, प्रो. मो. नुरुल्लाह अंसारी, श्री भोला यादव, श्री पंकज कुमार मिश्र, श्री हरि किशोर चौधरी, श्री शक्ति नाथ झा, श्री दुर्गानंद झा, श्री चन्द्र मोहन चौधरी, श्री चन्द्रमोहन झा ‘पड़वा’, श्री अजय नाथ शास्त्री(मिथिलाक्षर साक्षरता अभियान), गुड्डूजी, श्री उदय मिश्र, महेंद्र झा आ हेमचन्द्र राय
संग अनेकानेक गणमान्य लोक उपस्थित भय यात्रा में शामिल अभियानी सबकें आशीर्वाद देलाह।

Image

प्रथम चरण के एहि यात्रा में प्रस्तावित यात्रा विवरण अछि:
.
17-11-2018
दरभंगा (प्रस्थान श्यामामाई मंदिर से) प्रात: 12 बजे
लहेरियासराय 12.30 बजे
हजमा चौराहा 1.00 बजे
हनुमान नगर 1.30 बजे
कल्याणपुर होईत
समस्तीपुर 2 बजे
दलसिंहसराय 3 बजे
रोसड़ा 4 बजे
बखड़ी 5 बजे
खगड़िया 6 बजे
महखूंट 6.30 आमसभा संग रात्रि विश्राम
.
18-11-2018
नवगछिया 10 बजे
कुर्सेला 11 बजे
कटिहार 12 बजे
पूर्णियां 1 बजे
अररिया 2 बजे
रानीगंज 3 बजे
त्रिवेणीगंज 4 बजे
पिपरा 5 बजे
सुपौल 6.30 बजे(सभा) संग रात्रि विश्राम
.
19-11-2018
सुपौल(सभा) 10बजे
मधेपुरा (सभा) 11 बजे
सहरसा बजे सभा 12 बजे
महिषी उग्रतारा 2 बजे
बिरौल 7.30 में विद्यापति पर्व समारोह सभा संग रात्रि विश्राम
.
20-11-2018
बेनीपुर (सभा) 10 बजे
धरहारा (सभा) 11 बजे
नेहरा 12 बजे
सकरी सभा 1 बजे
पंडौल सभा संग 2 बजे
मधुबनी 3 बजे
राजनगर 4 बजे
कलुआही 5 बजे
रहिका 6 बजे
बसौली 7 बजे
औंसी जीरो माईल
दरभंगा 9 बजे में रात्रि विश्राम
.
21-11-2018
दरभंगा श्यामामाई मंदिर में 11 बजे सभा आ दोसर चरण के यात्राक घोषणा संग समापन)
.
एहि परिसीमन यात्राक मुख्य उद्देश्य मिथिला के अलग-अलग जिला के लोक के एकसूत्र मिथिला में जोड़ि आ आजादी के बाद सं पसरल मिथ्याक दूर कयनाई अछि……जेना कि….
.
बोलीक विविधता के कारण बनल द्वेष समाप्त कयनाई…..
.
पूर्वी-पश्चिमी आ उत्तरी-दक्षिणी मानसिकता के समाप्त कय सबके बीच समन्वय बनेनाई…..
.
संगहि मैथिली भाषाकें स्कूल में पढ़ाई प्रारंभ कराबय लेल संयुक्त प्रयास लेल सबके जनजागरण कयनाई…
.
अपन मिथिला के गौरवमयी इतिहास आ संस्कृति सं नव युवा वर्ग के जोड़ि मिथिला एकीकरण…..
.
आ अंतिम आ मूल उद्देश्य #पृथक_मिथिला_राज्य लेल अलख जगेनाई अछि।

परिसीमन यात्रा 17 नवंबर के श्यामामाई मंदिर सं प्रारंभ होईत विभिन्न जिला होईत वापस 21 नवंबर के पुनः श्यामामाई मंदिर में अगिला चरण के घोषणा संग समापन होयत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *