संकल्प मिथिला राज्य पदयात्रा के दोसर दिन मदनेश्वर महादेव, मदनपुर, अररिया सँ होईत फारबिसगंज के रास्ते अररिया के विभिन्न क्षेत्र सँ आगा बढ़ल :: मणिभूषण ‘राजू’
अररिया । 16 मार्च के यात्राक दोसर दिन मदनेश्वर महादेव के दर्शन संग प्रारंभ भेल आ फार्बिसगंज होईत अररिया के विभिन्न क्षेत्र में जनजागरण कयल गेल।
मदनपुर में रामदेव झा जी के संग महंथ जी सँ शुभकामना लैत ई. शिशिर कुमार झा जी के द्वारा विस्तृत यात्राक उद्देश्य आ प्रारूप पर जनमानस के संबोधन कयल गेल। विजय मिश्र जी मिथिला राज्य के आवश्यकता पर तार्किक कारण बतबैत जनजागरण में रहला। मणिभूषण ‘राजू’ , पुरुषोत्तम वत्स, विकास कुमार, संजय जी, पप्पू साह जी यात्राक क्रम में बैनर पोस्टर दय क लोक सबके यात्राक बारे में जागृत कयलथि।